Tuesday, April 27, 2010

बाबा जलेश्वर नाथ !!


बाबा जलेश्वर नाथ मंदिर 

भोला बाबा केर महिमा अपरम्पार छैन्ह  । कतहु ओ पर्वत पर विराजमान छथि तs कतहु पानी केर तर में जनकपुर (नेपाल )लग जलेश्वर नामक स्थान छैक ओहि ठाम बाबा जलेश्वर नाथ के मंदिर छैन्ह  । एहि  मंदिर में बाबा भोले नाथ साल भरि जल में रहैत छथि  एहि मंदिर के बहुत महात्म छैक आ एकर वर्णन पद्म पुराण में सेहो छैक 

बाबा जलेश्वर नाथ साल भरि जलमग्न रहैत छथि  । ओना तs बाबा केर पूजा साल भरि होइत रहैत छैन्ह । मंदिर में जा सीढ़ी पर सँ जल फूल प्रसाद इत्यादि चढ़ा हुनक पूजा कायल जाइत छैन्ह  मुदा शिव रात्रि दिन जलेश्वर नाथ के दर्शन कायल जा सकैत छैन्ह  एक दिन पहिनहि सँ निरंतर पम्प चला मंदिर सs जल बाहर कैल जाइत छैक। आ ओहि दिन मात्र बाबा केर दर्शन होइत छैन्ह  सांझ भेलाक उपरान्त जहिना पम्प बंद होइत छैक बाबा फेर जलमग्न भs जाइत छथि 

मंदिर में इनार बनल छैक जाहि सs लगातार जल बहराइत रहैत छैक आ बाबा जलमग्न रहैत छथि  मुदा आश्चर्यक गप्प जे ओहि मंदिर में साल भरि जल फूल बेलपत्र प्रसाद चढैत रहैत छैक मुदा रत्ती भरि नहि गंध रहैत छैक आ नञ मंदिर में कजरी  (काई) । इ बाबा केर लीला नहि तs आओर की कहल जा सकैत छैक 


 
Share/Save/Bookmark