Friday, June 5, 2009

मैथिल विवाह

मैथिल विवाहक विधक सामग्री


कहल गेल छैक विवाह s विध भारी सच मे मैथिलक विवाह मे विधक ओरिऔन करय मे आ एक एक टा सामग्री जुटाबय मे आय काल्हि लोक के हालत ख़राब भs जायत छैक। एक तs आय काल्हि लोक के बुझलो नहि रहैत छैक, दोसर शहर मे सामग्री भेटय मे से दिक्कत होयत छैक। ई सोचि कs हम मैथिल विवाह मे काज आबय वाला विधक सामग्रीक एकटा सूचि एहि ठाम दs रहल छी।

1- डाला -
2- बेसन (घाईट)
3- ठक
4- वक
5-केराक भालरि
6- कछुआक खापरि
7- दिया (दीप
8- पुरहर
9- पातिल
10- आसन
11- पटिया
12- उखरि समाट
13- पालो
14 -पाग आ घुनेश
15 - दुर्वाछत
16- पाँच तरहक मिठाई
17 - केरा
18- दही
19 - बियेन
20 - सिन्दूर
21 - गोटा सुपारी
22- दूध
23 - दही
24 - फूल
25 - बेलपत्र
26 - दूर्वा (दूभि)
27 - गुआ माला
28 -गोटा हल्दी
29 - माटिक हाथी
30 - माटिक सरवा छोट
31 - श्रुव
32 - घी
33 - आमक लकडी
34 - कुश
35 - आमक पल्लव
36 - अक्षत
37 - जौ
38 - तिल
39 - पाथर (पत्थर)
40 - धोती
41- तौनी
42 - जनेऊ
43 -पानक पात
44 -पान लगैल
45 - धान
46- केराक फूल
47- बाँसक बेदी
 
Share/Save/Bookmark