Showing posts with label Devi ji. Show all posts
Showing posts with label Devi ji. Show all posts

Sunday, August 15, 2010

Deviji episode: 8


                            एक दिन देवीजी विद्यालय दिस आबिये रहल छली की कोनो गाड़ी के बरी जोर स ब्रेक लगाबाई के आवाज सुनाई देलकैन | घुरी क तकली त एकटा कार के टेढ़ भ क रुकल पौली | गाडीक ड्राइवर एकटा बच्चा के डाँटि रहल छल | संजोग स ओ बच्चा हुनके विद्यार्थी छलैन आ ओकरा चोट नहिं लागल छलइ | लोक सब सेहो जमा हुआ लागल| लोकसब अपन गामक बच्चा के पक्ष ल उनटे कार चालक पर बाजि रहल छल | देवीजी ओत पहुँचली | ओ कनिक हाल त अपने देखने रहैथ ताहि कारने हुनका कोनो संदेह नहि रहैन जे अहि में गलती बच्चे के रहय | तखनो ओ बालक आ लोक सब स पुछली त ज्ञात भेलैन जे गाड़ी नजदीक रहै तैयो ओ बच्चा दौड़क  सड़क पार केनाई शुरू केने रहय | ओ गाड़ीवान स माफी मंगली आ ओकरा समय पर गाड़ी रोकय लेल धन्यवाद देलखिन |
                          तकर बाद देवीजी ओहि विद्यार्थी संगे विद्यालय विदा भेली | रास्ता भरि ओकरा यातायात क सुरक्षा द बुझाबैत रहली | कहलखिन जे सड़क पर चलै काल कोनो बातक हड़बड़ी नहिं करैके चाही | दुर्घटना ककरो गलती स भ सकैत छहि तखन ओ गाड़ी चलेन्हार होई अथवा पदयात्री | अपना दिस स जरुर सावधान रहै के चाही |  अपन सावधानी स दुर्घटना रोकल ज सकैत छहि |



Deviji episode: 7


                  बाढ़िक खबर सs सब दुखी छल | कतेक ठाम तs विद्यालय बंद भs गेल छल | देवीजी केर  विद्यालय संजोग सs बाढ़ि सँ बाँचल  रहैन्ह मुदा ओहि ठाम बाढ़ी केर  प्रकोप सँ बिल्टल लोकक कैंप लागल छल | देवीजीक सेवाभाव फेर सब विद्यार्थी एवं शिक्षकगणके एकजुट भs सामाजिक कार्य करय लेल उत्साहित केलकैन |
                ओ सभ गौंवासबसs भोजन, पाई, कपडा आदि जमा करि कs कैंप में बँटलैथ | दवाई के इंतजाम सेहो कैल गेल | ओहि कैंप में आयल बच्चा सबके ल क देवीजी अपन विद्यार्थी सबहक पढ़ाई सेहो प्रारंभ केली | तखन अहि विपदा के विषय में चर्चा उठल | ताहि पर देवीजी सबके पर्यावरण के बढ़ैत तापमान के जानकारी देलखिन |
                ओ कहलखिन, "सब जगह तापमान बढ़लाक कारण हिमनद सब घमी रहल अछि| ताहि पर स हिमालय पर विश्व के सबस उंच आ विशाल हिमनद सब स्थित छहि जे गर्मी स घमी रहल छहि | ओकर पानि हिमालय स निकलैत नदी सब में आबी गेल छहि | ताहि कारण स ई विपदा आयल छहि| आकर रोकय लेल नदी सबके किनार मज़बूत भेनाई बड आवश्यक अछि जाहि में सामान्य जनता वृक्षारोपण क अपन योगदान द सकैत छथि | बांह बनौनई त सरकार द्वारा कैल जायत मुदा जगह जगह वृक्षारोपण क तापमान नियंत्रण आ माटिक कटाव पर रोक हम सब लगा सकैत छी| जौं मेघ के लौह मानी त गाछ के चुम्बक मानू | गाछ रहला स बरखाक अभाव सेहो दूर होयत छहि | "
              देवीजीक अहि बात सs प्रभावित भs सबकियो खाली पड़ल ज़मीन पर तथा सड़क के काते कात गाछ लगोलथी | कैम्पक लोक सब इहो मोन बनेला जे अपन गाम घुरलापर ओ सब ओहि ठाम सेहो वृक्षारोपण करता आ वृक्ष के अनायास काटय पर रोक लागौताह |
 
Share/Save/Bookmark