बाबा जलेश्वर नाथ मंदिर
भोला बाबा केर महिमा अपरम्पार छैन्ह । कतहु ओ पर्वत पर विराजमान छथि तs कतहु पानी केर तर में। जनकपुर (नेपाल )लग जलेश्वर नामक स्थान छैक ओहि ठाम बाबा जलेश्वर नाथ के मंदिर छैन्ह । एहि मंदिर में बाबा भोले नाथ साल भरि जल में रहैत छथि । एहि मंदिर के बहुत महात्म छैक आ एकर वर्णन पद्म पुराण में सेहो छैक ।
बाबा जलेश्वर नाथ साल भरि जलमग्न रहैत छथि । ओना तs बाबा केर पूजा साल भरि होइत रहैत छैन्ह । मंदिर में जा सीढ़ी पर सँ जल फूल प्रसाद इत्यादि चढ़ा हुनक पूजा कायल जाइत छैन्ह । मुदा शिव रात्रि दिन जलेश्वर नाथ के दर्शन कायल जा सकैत छैन्ह । एक दिन पहिनहि सँ निरंतर पम्प चला मंदिर सs जल बाहर कैल जाइत छैक। आ ओहि दिन मात्र बाबा केर दर्शन होइत छैन्ह । सांझ भेलाक उपरान्त जहिना पम्प बंद होइत छैक बाबा फेर जलमग्न भs जाइत छथि ।
मंदिर में इनार बनल छैक जाहि सs लगातार जल बहराइत रहैत छैक आ बाबा जलमग्न रहैत छथि । मुदा आश्चर्यक गप्प जे ओहि मंदिर में साल भरि जल फूल बेलपत्र प्रसाद चढैत रहैत छैक मुदा रत्ती भरि नहि गंध रहैत छैक आ नञ मंदिर में कजरी (काई) । इ बाबा केर लीला नहि तs आओर की कहल जा सकैत छैक ।