Sunday, August 15, 2010

Deviji episode: 8


                            एक दिन देवीजी विद्यालय दिस आबिये रहल छली की कोनो गाड़ी के बरी जोर स ब्रेक लगाबाई के आवाज सुनाई देलकैन | घुरी क तकली त एकटा कार के टेढ़ भ क रुकल पौली | गाडीक ड्राइवर एकटा बच्चा के डाँटि रहल छल | संजोग स ओ बच्चा हुनके विद्यार्थी छलैन आ ओकरा चोट नहिं लागल छलइ | लोक सब सेहो जमा हुआ लागल| लोकसब अपन गामक बच्चा के पक्ष ल उनटे कार चालक पर बाजि रहल छल | देवीजी ओत पहुँचली | ओ कनिक हाल त अपने देखने रहैथ ताहि कारने हुनका कोनो संदेह नहि रहैन जे अहि में गलती बच्चे के रहय | तखनो ओ बालक आ लोक सब स पुछली त ज्ञात भेलैन जे गाड़ी नजदीक रहै तैयो ओ बच्चा दौड़क  सड़क पार केनाई शुरू केने रहय | ओ गाड़ीवान स माफी मंगली आ ओकरा समय पर गाड़ी रोकय लेल धन्यवाद देलखिन |
                          तकर बाद देवीजी ओहि विद्यार्थी संगे विद्यालय विदा भेली | रास्ता भरि ओकरा यातायात क सुरक्षा द बुझाबैत रहली | कहलखिन जे सड़क पर चलै काल कोनो बातक हड़बड़ी नहिं करैके चाही | दुर्घटना ककरो गलती स भ सकैत छहि तखन ओ गाड़ी चलेन्हार होई अथवा पदयात्री | अपना दिस स जरुर सावधान रहै के चाही |  अपन सावधानी स दुर्घटना रोकल ज सकैत छहि |



No comments:

 
Share/Save/Bookmark