Sunday, August 15, 2010

Deviji episode: 7


                  बाढ़िक खबर सs सब दुखी छल | कतेक ठाम तs विद्यालय बंद भs गेल छल | देवीजी केर  विद्यालय संजोग सs बाढ़ि सँ बाँचल  रहैन्ह मुदा ओहि ठाम बाढ़ी केर  प्रकोप सँ बिल्टल लोकक कैंप लागल छल | देवीजीक सेवाभाव फेर सब विद्यार्थी एवं शिक्षकगणके एकजुट भs सामाजिक कार्य करय लेल उत्साहित केलकैन |
                ओ सभ गौंवासबसs भोजन, पाई, कपडा आदि जमा करि कs कैंप में बँटलैथ | दवाई के इंतजाम सेहो कैल गेल | ओहि कैंप में आयल बच्चा सबके ल क देवीजी अपन विद्यार्थी सबहक पढ़ाई सेहो प्रारंभ केली | तखन अहि विपदा के विषय में चर्चा उठल | ताहि पर देवीजी सबके पर्यावरण के बढ़ैत तापमान के जानकारी देलखिन |
                ओ कहलखिन, "सब जगह तापमान बढ़लाक कारण हिमनद सब घमी रहल अछि| ताहि पर स हिमालय पर विश्व के सबस उंच आ विशाल हिमनद सब स्थित छहि जे गर्मी स घमी रहल छहि | ओकर पानि हिमालय स निकलैत नदी सब में आबी गेल छहि | ताहि कारण स ई विपदा आयल छहि| आकर रोकय लेल नदी सबके किनार मज़बूत भेनाई बड आवश्यक अछि जाहि में सामान्य जनता वृक्षारोपण क अपन योगदान द सकैत छथि | बांह बनौनई त सरकार द्वारा कैल जायत मुदा जगह जगह वृक्षारोपण क तापमान नियंत्रण आ माटिक कटाव पर रोक हम सब लगा सकैत छी| जौं मेघ के लौह मानी त गाछ के चुम्बक मानू | गाछ रहला स बरखाक अभाव सेहो दूर होयत छहि | "
              देवीजीक अहि बात सs प्रभावित भs सबकियो खाली पड़ल ज़मीन पर तथा सड़क के काते कात गाछ लगोलथी | कैम्पक लोक सब इहो मोन बनेला जे अपन गाम घुरलापर ओ सब ओहि ठाम सेहो वृक्षारोपण करता आ वृक्ष के अनायास काटय पर रोक लागौताह |

No comments:

 
Share/Save/Bookmark