Saturday, July 31, 2010

Deviji episode: 5


                                             विद्यालय में आही बहुत हलचल छल | बड़का सरकारी गाड़ी सामने ठाढ़ छल |बच्चा सबके किछु नहि बुझा रहल छल | सब  उत्सुक भ विद्यालयक में प्रवेश केलक |  बादमें प्रार्थनाक उपरांत प्रधानाध्यापक सबके सूचित केलखिन, "सरकार के दिस स ई निर्देश आयल अछि जे हम देश स निरक्षरता हटाबई में सरकार के मददि करियै |ताहि लेल सरकार दिस स पुस्तक आ आन सामग्री प्रदान कैल गेल अछि | भारत वर्ष निरक्षरता में विश्वमें सबस आगाँ अछि आ बिहार राज्य अपन देश में साक्षरता आ स्त्री शिक्षा में सबसा पाछाँ अछि | हमरा सबके अहि के हटाबई मैं योगदान देबाक चाही" |
                       विद्यार्थी सब अहिमें काज करैलेल तैयार छल | सब देवीजी स पुछलक जे की करै पड़तै |त देवीजी सबके पढ़ाबई के तरीका सिखेलखिन | अगिला दिन सौंसे गाम में बात आगि जकां पसरी गेल जे प्रतिदिन सांझ क बुजुर्ग सबके आ जे बच्चा सबके आर्थिक कमजोरी के कारण शिक्षा नहिं भेट रहल छही तकरा सबके बिन खर्चा के साक्षर बनाओल जायत | सबके आमंत्रित कैल गेल |   
                        आब प्रतिदिन सांझ में जमौरा लाग लागल | विद्यार्थी सब शिक्षक सबके पढ़ाबई में व्यस्त भ गेल | गर्मी के छुट्टी में सेहो सब अहि काज में लागल रहल | दुए तीन महिनाक प्रयास स गामक सब बढ़ बुजुर्ग स ल क आर्थिक आभाव स त्रस्त निरक्षर बच्चा सब साक्षर भ गेल | सबस लाभ स्त्री सबके भेलैन जिनका सबके ई सुविधा भेटबाक कोनो आशा नहिं छलैन | गाममे  अखबारक खपत बढ़ी गेल | आब बुढ़ियो सब बात करय लगली जे देश में कोन पार्टी के बहुमत छें आ के प्रधानमंत्री छैथ | गीत नाद सेहो लिखी क राखै लगली | मिथिलांचल जतय स्त्री सर्वथा सम्मानित रहल मुदा शिक्षाक क्षेत्र में ओकर भाग्य कनी कमजोर छल ताहू के दूर करक ई प्रयास आगामी उज्जवल भविष्यक प्रतीक छल | स्त्रीशिक्षाक एहेन दीप प्रज्वलित करै लेल विद्यालय के सरकार दिस स सम्मानित कैल गेल | प्रधानाध्यापक आ सब शिक्षक सब अपन विद्यालयक छात्र सबहक बहुत प्रशंसा केलखिन जे ओकर सबहक तन्मयता स ई काज संपन्न भेल | फेर अगिला अवकास में अहि अभियान के आगा बढ़ाबई के विचार कैल गेल |  

2 comments:

मनोज कुमार said...

पढ कय बड नीक लागल।
आभार!

Jyoti Sunit said...

Dear Manoj ji,
ahank tippani kafi protsahan dait achhi. Kripya akra jari rakhu. Har week end main du ta episode upload hoyat rahat.
Dhanyawaad
Jyoti

 
Share/Save/Bookmark